Svoboda | Graniru | BBC Russia | Golosameriki | Facebook
सामग्री पर जाएँ

अगरतला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अगरतला
আগরতলা
Agartala
उज्ज्यन्ता दरबार (त्रिपुरा राज्य सङ्ग्रहालय), अगरतला
उज्ज्यन्ता दरबार (त्रिपुरा राज्य सङ्ग्रहालय), अगरतला
देश भारत
राज्यत्रिपुरा
जिलापश्चिम त्रिपुरा
सरकार
 • मेयरडा. प्रफुल्ल जीत सिन्हा[]
 • कमिसनरडा. मिलिन्द रामतेक, आइएसएस[]
क्षेत्रफल
 • कुल७६.५०४ किमी (२९.५३८ वर्गमाइल)
उन्नतांश
१२.८० मिटर (४१.९९ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०१५)[]
 • कुल५,२२,६१३[]
 • घनत्व६८३१/वर्ग किमी (१७६९०/वर्ग माइल)
भाषासभ
 • आधिकारिकबङ्गालीअङ्ग्रेजी
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
डाक कोड
७९९००१-१०, ७९९०१२, ७९९०१४-१५, ७९९०२२, ७९९०५५
टेलिफोन कोड९१ (०)३८१
सवारी दर्ताTR 01 XX YYYY
वेबसाइटagartalacity.nic.in

अगरतला /əɡərtəˈl[invalid input: 'ah']/ (बङ्गाली: আগরতলা Agortola) भारतक त्रिपुरा राज्यक राजधानी आ सभसँ पैग शहर छी । ई उत्तर-पूर्व भारतक गुवाहाटी शहरक बाद सभसँ पैग नगर क्षेत्र आ सभसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल नगर छी । ई शहर त्रिपुराक सरकारी सिट छी । अगरतला भारतके सभसँ तेजीसँ आगा बढि रहल शहर छी ।

अगरतला दुई शब्द अगर जकर अर्थ एक प्रकारक मूल्यवान सुगन्धित गाछ होइत अछि आ + उपसर्ग तला, एक गोदाम घर सँ बनल अछि । अगरतला नगर परिषद ई शहरके शासित करैत अछि । अगरतला हरोआ नदीके किनारमे अवस्थित अछि आ एतयसँ बंगलादेशक सिमाना मात्र २ किमी दुर अछि । अगरतला भारतक मुम्बईचेन्नईक बाद तेसर अन्तर्राष्ट्रिय इन्टरनेट गेटवे छी ।[]

एतय मुख्यत: बङ्गाली भाषा बोलल जाइत अछि । अगरतलाक ह्याण्डलुम बुनाई एतयक मुख्य उद्योग छी । अगरतलाक आधासँ बेसी भाग जङ्गलसँ घेरल अछि, जे प्रकृति-प्रेमी पर्यटकसभके आकर्षित करैत अछि । अगरतला नगर परिषदक सम्पूर्ण क्षेत्रफल ७६.५०४ वर्ग किमी आ सन् २०१३ मे पुनार्निर्मित अगरतला नगर परिषदक जनसङ्ख्या ४,३८,४०८ रहल अछि ।[] सन् २०११ के भारतक जनगणना अनुसार अगरतलाक साक्षरता दर ९३.८८ अछि जे भारतक साक्षरता दरसँ बेसी अछि ।[] सन् २०१५ के नगर जनगणना अनुसार अगरतलाक जनसङ्ख्या ५,२२.६१३ अछि ।[]

त्रिपुरा राज्यक स्थापना १४अम शताब्दीमे माणिक्य नामक भारतीय-मङ्गोलियन आदिवासी मुखियाद्वारा भेल छल, जे हिन्दू धर्म अपनेनाए छल । सन् १८०८ मे एकरा ब्रिटिश साम्राज्य जित लेलक आ ई एक स्व-शासित शाही राज्य बनि गेल ।[] त्रिपुराक राजधानी अगरतलाक स्थापना सन् १८५० मे महाराज राधा कृष्ण किशोर माणिक्य बहादुरद्वारा कएल गेल छल । सन् १९५६ मे ई गणतन्त्र भारतमे शामिल भऽ गेल आ सन् १९७२ मे एकरा राज्यक दर्जा प्राप्त भेल ।

पर्यटन स्थल

[सम्पादन करी]

पर्यटनक दृष्टिसँ ई एक एहन शहर छी, एतय मनोरञ्जनक तमाम साधन अछि, साहसिक कर्तबक लेल बहुतेक विकल्पसभ ई शहरमे उपलब्ध अछि आ सांस्कृतिक रूपसँ सेहो ई शहर बेहद समृद्ध अछि । एहि वाहेक एतय पावोल जाइवला अलग-अलग प्रकारक जीव-जन्तु आ गाछवृक्ष अगरतला पर्यटनक आओरो रोचक बनाए देनए अछि । अगरतला ओ समय प्रकाशमे आएल जब माणिक्य वंश एकर अपन राजधानी बनेलक । १९अम शताब्दीमे कुकीक लगातार हमललासँ परेशान भऽ महाराज कृष्ण माणिक्य उत्तरी त्रिपुराक उदयपुर स्थित रङ्गामाटीसँ अपन राजधानीके अगरतला स्थानान्तरित करि देलक । राजधानी परिवर्तन करैक एक अओरो कारण ई छल कि महाराज अपन साम्राज्य आ पड़ोसमे स्थित ब्रिटिश बंगलादेशक साथ सम्पर्क बनाबै लेल चाहैत छल । आई अगरतला जे रूपमे स्थापित अछि, दरअसल एकर परिकल्पना सन् १९४० मे महाराज बीर बिक्रम किशोर माणिक्य बहादुर केनए छल । ओ ओहि समय सड़क, बजारक भवन आ नगरनिगमक योजना बनेनाए छल । हुनकर याह योगदानके देखैत आई अगरतलाके बीर बिक्रम सिंह माणिक्य बहादुरक शहर सेहो कहल जाइत अछि । शाही राजधानी आ बंग्लादेशसँ नजदीकी होमएक कारण अतीतमे बहुतेक पैग नामचीन हस्तिसभ अगरतलाक भ्रमण केनए अछि । रविन्द्रनाथ टैगोर बहुतेक बेर अगरतला आएल छल ।

अगरतलामे रहल किछ पर्यटन स्थलसभ निम्न अछि:

उज्जयन्ता दरबार

[सम्पादन करी]

सन् १९०१ मे निर्मित उज्जयन्ता दरबार, अगरतलाक मुख्य स्मारक छी जे मुगल-युरोपेली मिश्रित शैलीमे निर्मित अछि । ८०० एकड़मे फैलल ई विशाल परिसर आब राज्यक विधान सभाक रूपमे प्रयुक्त होइत अछि । ई परिसरमे बगैंचा आ मानव-निर्मित ताल अछि । आमतौर पर एकरा जनताक लेल नै खोलल जाइत अछि मुदा यदि अहाँ साँझ ३ सँ ४ बजेके बीच मुख्यद्वार पर जाए तँ अहँ एतयसँ प्रवेशक लेल प्रवेश-पास प्राप्त करि सकैत छी ।

नीर महल

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Agartala Municipal Corporation"। Agartalacity.tripura.gov.in\accessdate=2015-05-07।
  2. http://agartalacity.tripura.gov.in/
  3. tripurainfo.com/info/ArchiveDet.aspx?WhatId=15446 Municipal Census 2015
  4. ४.० ४.१ "The first news, views & information website of TRIPURA"। Tripurainfo। मूलसँ 2013-10-14 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2013-12-20
  5. "Agartala becomes India's third int'l internet gateway"
  6. "Agartala City Population Census 2011 | Tripura"। Census2011.co.in। अन्तिम पहुँच 2013-12-20
  7. tripurainfo.com/info/ArchiveDet.aspx?WhatId=15446 Notification for delimitation of civic wards issued, tripurainfo.com
  8. http://iloveindia.com/travel/agartala/history-of-agartala[permanent dead link]

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]